26-03-2018,बड़गाँव (सहरसा) -: मुरारी कुमार मयंक
विशेष रिपोर्ट...
अपनी राय जरूर दे...गलती को पुनः सुधार लिया जाएगा...
नवाहक उपरांत हवन करैत ग्रामीण
विशेष रिपोर्ट...
अपनी राय जरूर दे...गलती को पुनः सुधार लिया जाएगा...
नवाहक उपरांत हवन करैत ग्रामीण
आय गाम में लगातार नवाह हवन के संगे सम्पन्न भेल। 10 दिन सॉ लगातार मैया जगत जननी के दरवार में भोरे से गाम में रहनिहार अप्पन अप्पन हाजरी लगबैत छल। भोंडे पांच बजे से जेखन स्पीकर में या देवी सर्वभूतेषु शक्तिरूपेण संस्थिता बजैत छल तय एकटा अलगे ऊर्जा के आभास हौयत छल।निश्चित रूप से 7 बजे से प्रारम्भ भगवतिक वंदना आ महादेव पूजन सॉ गाम कुन्नू देवस्थान से कम नय लागय छल।हर घर मे महादेव बनेवाक तैयारी फेयर अच्छद फूल सहित हुनका भगवती स्थान दे लेल जैत बच्चा युवा सबमे एकटा अलगे उमंग स्पस्ट प्रतीत हौयत रहें। अनगिनत महादेव पूजन गामक सुख शांति आ समृद्धि लेल सौ दूय सौ साल से अनवरत चैल रहल अछि।वर्तमान पीढ़ी के के सामने में नवाह गाम में नय शुरू भेल छल ये हमरा बुझल अछि।
कुमारी आ बटुक कय श्रद्धापूर्व भोजन
गाम में सब दिन गामक सम्पूर्ण गामक बटुक कुमारी भोजन क़ खुसी खुसी घर जा क पुनः 3 बजे सौ अप्पन दादा दादी के संग भागवत सुनबाक लेल उपस्थित भ जाय छैत।ई गामक संस्कार के प्रभाव अछि जे सब मिलके भागवतम श्रवण करैत छल।
प्रवचन करैत आदरणीय देवेंद्र झा जी
पूर्व में कहल जैत छल जे गाम में आग लगबाक घटना आम बात छल ख़ास क क अहि समय मे।गामक लोग बेद सब सब तरहे कोसिस कैला के बादो आयगलग्गी के घटना बन्द नय भेल। गामक निर्णय लेलेंन जे गाम में सामूहिक रूप सो महादेवक पूजन आ भागवतम के प्रवचन कैल जाय ।ओहि बरख सो महादेबक पूजन आ देवी भागवतम के अत्यंत सुंदर प्रवचन शुरू भेल। जकर बाद गाम में आगि लगबाक घटना बन्द भेल आ गाम लगातार प्रगति पथ पर अग्रसर भेल।आदरणीय देवेन्द्र झाजि बड़गाम पंचायत के ग्राम बलिया के रहनिहार छथिन जिनका धर्मशास्त्र आ कर्मकांड पर आधिपत्य अछि।अर्थ प्रधान युग मे हुनकर विदाई सिर्फ सामूहिक चढ़ावा से ही हौयत अछि।अहि बैर कत्ते विदाई भेल से रिपोर्ट एखन तक नय भेटल अछि। देवी महात्म्य के बाद रामचरित्र मानस के प्रवचन गामक रहनिहार राजेन्द्र झा व्यास के द्वारा बाचल जायत छल। तस्वीर नीचे है...
शब्दों के जादूगर कहल जा सकैत अछि। बड़गाँव कय हिनकर एहन व्यक्तितव हालफिलहाल ने मिलब मुश्किल अछि।
अहि बेरक नवाह बहुत ही सुंदर ढंग सो सपन्न भेल। नबो दिन गाम दिव्यभूमि बनल रहय।गाम में रहनिहार आ मैया जगतजननी के सेवा में सदैत तत्पर मुकेश मानस भैया, भीम शंकर चाचा,गोपाल कृष्ण चाचा,ध्रुव चाचा,आदि आदि जिनकर सहयोग सॉ माँ के आराधना सफल हौयत अछि हुनका सबके हम्मर विशेष प्रणाम।गाम में दु तीन टा पर्व त्योहार निग्गर हौयत अछि।कम से कम ओहियो में गाम आबि।गाम विरान सुनसान लागैत अछि जेना मानु एक टा माय अप्पन पुत्रक इंतजार काय रहल अछि।
गलती माफ करब.....गाम के बारे में आब लिखब शुरू कैलय छि।अहाँ सभक सहयोग अपेक्षित अछि।
गलत सही जरूर कहब...ई शुरुवात छि...पोस्ट एडिट संभव अछि।
Email- murarikrmayank@gmail.com



